#

क्रियाकलाप

मितिः 2079-11-10

थारु कल्याणकारिणी सभा जातिवादी नै पहिचान और अधिकारके सवाल बुलन्द करेवाला एक समाजिक संस्था

थारु कल्याणकारिणी सभा सिरहाके आयोजनामे भेल थारु समुदायके भेलासे लहान नगर समिति या सिरहा क्षेत्र नम्बर १ के क्षेत्रिय समित सर्वसम्मत रुपसे गठन भेल छै ।
लहान स्थित थारु सामुदायिक सेवा केन्द्रके बैठक हलमे बैठल भेला और अधिवेशनमे लहान नगर कार्य समिति तथा सिरहा क्षेत्र नं.१ कार्यसमिति क्याल गेलै ।  नव गठित लहान नगर समिति नेपाल सरकारके सेवा निवृत ईन्जिनियर श्री शिव नारायण चौधरीके नेतृत्वमे ११ सदस्य थाकसके लहान नगर समिति गठन केल गेलै । जै समितिके पदाधिकारी सबमे सभापति ई. शिवनारायण चौधरी, उपाध्यक्ष, महिला उपाध्यक्षमे निलम कुमारी चौधरी, सचिवमे सरिता चौधरी, कोषाध्यक्षमे श्याम चौधरी पदाधिकारीमे चयन भेल छै । तैहना नगर समितिके सदस्यसबमे क्रमश ः  शुभ नारायण चौधरी, अनिता चौधरी, लक्ष्मी चौधरी, भोजनी चौधरी लगायतके व्यक्ति सब रहल छै ।
  वोही भेलासे सिरहा क्षेत्र नम्बर १ के क्षेत्रिय समिति सेहो गठन भेल छै । सिरहा क्षेत्र नम्बर १  के क्षेत्रिय सभापतिमे रुद्र नारायण चौधरी, उपाध्यक्षमे लोकेन्द्र चौधरी, महिला उपाध्यक्षमे प्रकाश चौधरी, सचिबमे बलिकान्त चौधरी , कोषाध्यक्षमे भिखनी चौधरी लगायतके पदाधिकारी चयन भेल छै त सदस्यसबमे असिया चौधरी लगायतके व्यक्ति सब रहल छै । भेला थारु कल्याणकारी सभा सिरहाके सभापति सत्य नारायण चौधरीके अध्यक्षतामे भेल रहै । कार्यक्रमके प्रमूख अतिथि थारु सामुदायिक सेवा केन्द्र लहान सिंगराहीके अध्यक्ष दानवीर रामस्वरुप चौधरी थारु समुदायके उत्थान र आर्थिक समृद्धिकेलेल यी धर्मशाला बन्यारहल चियै । यै थारु कल्याणकारिणी सभाके बहुत बडका योगदान रहल छै और रहतै । सम्पूर्ण थारु समुदायके छाता संग्ठन थाकस चियै । हम अहाँ सब कोइ मिलके एकर निर्माण करै परतै से बात बताइने रहै । तैहना थारु सेवा सदनके सचिव मुखीलाल चौधरी थारु कल्याणकारिणी एकटा ऐहन समाजिक संस्था चियै । जेकर उद्येश्य पवित्र एवं महान छै । सम्पूर्ण थारु समुदायके मुक्ति दाता चियै । भाषा कला संस्कृतिसँगे अधिकारके सवालमे राज्यके अगाह करेवाला छाता संग्ठन चियै । यै आवद्ध सम्पूर्ण व्यक्ति सबके समाजिक भावना से जुरे परत । मन्तव्यके क्रममे थारु कल्याणकारिणी सभाके केन्द्रिय सदस्य विरेन्द्र कुमार चौधरी थाकस नेपालके सम्पूर्ण थारुसबके एक जुट करैवाला या राज्यसे थारु समुदायके अधिकार दियावैवाला समाजिक संस्था चियै । थारु समुदायके उत्थान और समृद्धिके सवालमे काम करैले सम्पूर्ण सिरहाली थारुके साझा भवन थारु सदन एकटा इतिहास बनलै ज्यारहल छै जेकर उद्येश्य एक घर एक सदस्य अभियानमे हमरो अहाँके जुटे परतै से आग्रह केने रहै । तैहना थारु कल्याणकारिणी सभाके पूर्व सभापति तथा थारु सामुदायिक सेवा सदनके निर्माण समितिके सदस्य अजय कुमार चौधरी थारु समुदायके भावना और अपनत्वसे जुेर वाला थारु सामुदायिक सदन लहान १ सिंगराहीमे बैन रहल छै । यी सम्पूर्ण थारु समुदायके गौरवके प्रतीक रहतै त्याँ सबकोइ मिलके एकर निर्माण करु से आग्रह करब कहैत थारु कल्याणकारिणी सभा थारु समुदायमे रहल प्राचीन कलासंस्कृति, भाषाके संरक्षण करैत आइवरहल एकटा विशुद्ध समाजिक संस्था चियै जेकर जलम वि.स. २००५ सालमे भेल छै । नेपालमे कोनो समाजिक संस्था छै त सबसे शुद्ध एवं पवित्र थारु कल्याणकारिणी सभा जेकर मुख्य लक्ष्य थारु समुदायके संगठित करैत पहिचानके अवाज उठेनाइ अधिकारके स्थापित करैत संविधानमे उल्लेख भेल अधिकारके खोजी करैत राष्ट्रिय मुक्ति एवं राष्ट्रिय एकताके पक्षमे वकालत केनाइ तै ल्याके पद बडका चिज नै चियै जिम्मेवारी बडका बात चियै । अहाँ सब थारु कल्याणकारिणी सभामे सिरहाके सम्पूर्ण थारुके जोडे परत या थारु समुदायमे विकसित भ्यारहल विकृतिके विरुद्ध जनचेतना सँगो आर्थिक रुपान्तरण, राजनीतिक रुपान्तरणके सवालमे संग्ठनके बलगर बनाइके जिम्मेवारी बहन करैले परत से बातमे जोड देने छेलै । तैहना निर्माण समितिके सदस्य बद्री नारायण चौधरी सम्पूर्ण सिरहाली थारु समुदायके हित और उन्नति प्रगति सँगे थारुके भूमिमे अपन भावना और अपनत्वसे जुरल थारु धर्मशाला निर्माण भ्यारहल छै । यै महयज्ञमे आपन आपन गाम ठामसे सहयोग करबै तैहना थारु कल्याणकारिणी सभा हमर अहाँ छाता संग्ठन चियै जे राज्यसे सब दिन थारुको अधिकारके सवाल उठावैत आइवरहल छै । यै मे हम अहाँ सब कोइ आवद्ध चियै एकर संग्ठनके मजबुत बनेनाइ हमर अहाँ सबकोइके दायित्व या जिम्मेवारी चियै से बात आव घर घरमे टोल टोलमे पुगेनाइ छै से आग्रह केने रहै ।
   कार्यक्रममे नव समितिके पदाधिकारी सबके धन्यवाद दैत थारु कल्याणकारिणी सभा सिरहाके सभापति सत्य नारायण चौधरी थारु समुदायके संगठिन कैरके पहिचान और अधिकारके लेल आगा बरहैले तैहना थारु समुदायके ऐतिहासिक भूमि लहानमे थारु
सदनके बनाइके संकल्प हमरा सब केने चियै । यी संकल्प पूरा नै क्याके हम सब नै छोड यै मे सैबके साथ और सहयोगके आवश्यकता छै । थारु कल्याणकारिणी जातिके बात नै पहिचान और अधिकारके बात करैछै । एकर उद्येश्य राज्यमे सम्पूर्ण जाति या समुदायके जातीय जनसंख्याके आधारमे राज्यके हरेक निकायमे समानुपातिक समावेशी सिद्धान्तके पूर्ण रुपसे कार्यान्वयन राज्य करे या विकसित या समृद्ध नेपाल निर्माणमे थारु समुदायके योग्दान रहे से परिकल्पना करे वाला एकटा समाजिक संस्था चियै । हरेक जाति या समुदायके साझा मुलुक नेपाल हेवे । संघीयताके पूर्ण रुपसे कार्यान्वयन राज्य करे । हरेक पहिचानवादी समुदायसँगे हातेमालो करैत सबके अस्तित्व स्वीकार करैवाला संस्था चियै । लेकिन दु ःखद बात किछ व्यक्ति या लोकसुन अतिरिञ्चित ढंगसे जातिवादीके रुपमे व्याख्या करैछे । हम हुनका सबके यही मञ्चसे थारु समुदाय कथि चियै और जातिवादी कथि चियै कैहकै खूला बहस करैले तयार हौ कैहके आग्रह सेहो करैले चाहैचियै । जातिवाद वु चियै जे एकटा जातिके मात्रे वात करैछै हम सब छाती खोइलके हृदय खूला पाइरके पहिचान और अधिकारके सवाल राज्यसे करैचियै से बात बताइने छै ।

 

img